प्रकृति के प्रकोप देखियौ समस्त जीवन बेहाल अछि गर्मी त भरि जगत में छैक बिहारे किया बदहाल अछि ई बात आब देखु सभहक मोन में अखरि रहल अछि हम मरितौं त मरितौं हमर बच्चा कियैक मरि रहल अछि गुलकोंच पनि स इलाज भ रहल ई केहन चिकित्सा प्रधान-सेवक व्यस्त छैथ करबा में फ़िल्म-समीक्षा हा! बढ़ल जा रहल अछि यौ संख्या दिनक दिन सत्ता में महीस सुतल अछि हम कतेक बजाबु बीन एहन व्यवस्था देखि आब खून हमर जरि रहल अछि हम मरितौं त मरितौं हमर बच्चा कियैक मरि रहल अछि सभ नाचि रहल छैथ एत्त अप्पन अप्पन ताल सत्ता मद में डुमल अछि आ वैद्य करै हड़ताल जेकरा अनलौं पुचकारैत हम सटने अपना छाती में कहियौ कोना क देबै ओकरा छह हाथ भीतर माटी में अहि हृदय विदारक क्षण में आब हिम्मत हमर बिखरि रहल अछि हम मरितौं त मरितौं सरकार हमर बच्चा कियैक मरि रहल अछि