Nojoto: Largest Storytelling Platform

Best मैथिलीकविता Shayari, Status, Quotes, Stories

Find the Best मैथिलीकविता Shayari, Status, Quotes from top creators only on Gokahani App. Also find trending photos & videos about

  • 3 Followers
  • 4 Stories

Rupam Jha

अहिना किच्छो😄विरह पर मैथिली म! मैथिली भाषी पढू आ प्रतिक्रिया दिय🙏 Btana chahungi ki ye panktiya sirf 5-7 min me likhi gyi hai travel krte huye bus me bore ho rhi thi aur ye khyal aaya mn me!🤓 Supriya Mishra Kritika Kiran Aayush Jha Deeksha Mishra Raunak Shandilya #yqdidi #yqmaithili #Broken #मैथिली #मैथिलीकविता #jhapost #नवरूप #bestyqhindiquotes

read more
     ★प्रीतम क लेल पत्र★📃💌

निश्छल हमर प्रेम छल मुदा नै भेल अहाँक कहियो भान यौ,
करेजक तह स हम प्रेम केलौ जे आबै अहाँक अधर पर मुस्कान यौ,
प्रेम म परि कतेक स्वप्न देखलौं,आ भेल की परिणाम यौ,
पाँच वर्षक बालिका सन चहकै छलौं,केलक विरह परिपक्वता प्रदान यौ,
आन पर विश्वास क एहन ठकेलौ की आब अपनों पर भरोसा करै सँ डेराइत अछि प्राण यौ,
नीरस भ गेल जीवन हमर,नहि रही गेल आब कुनो अरमान यौ,
स्मृति मात्र शेष रहल अहाँक संगक,सदिखन घुटैत अछि जान यौ,
मुदा अहाँक धन्यवाद करबा सँ जुनि हम चुकब,करेलौं अहाँ हमरा जिनगी क अध्याय स पहचान यौ!! अहिना किच्छो😄विरह पर मैथिली म!
मैथिली भाषी पढू आ प्रतिक्रिया दिय🙏
Btana chahungi ki ye panktiya sirf 5-7 min me likhi gyi hai travel krte huye bus me bore ho rhi thi aur ye khyal aaya mn me!🤓
Supriya Mishra Kritika Kiran Aayush Jha Deeksha Mishra Raunak Shandilya 
#yqdidi #yqmaithili #broken
#मैथिली #मैथिलीकविता 
#jhapost #नवरूप 
#bestyqhindiquotes

Rupam Jha

गामक वर्णन की करब गाम त होइते अछि अमूल्य(ओना प्रयास केने छी अयि स पहुलका पोस्ट म गांव क वर्णित करै क)मुदा आब बहुत तेजी सँ बहुत किछु बदैल रहल अछि,शहर बनबैक होड़ म गाम गामो नहि रही गेल😢 उचित विकास त जरुरिये छै मानव जीवन क लेल किंतु अहि सबहक बीच म गाम के प्राकृतिक सुंदरता शनै-शनै विलुप्त भ रहल अछि जैसे आजुक पीढ़ी गामक ओ बहुमूल्य प्रेम सँ वंचित रहि जेता और ई वास्तव म चिंता क कारण थीक! एकटा कोशिश केलौ सबटा बात मैथिली म समटै क,पढू आ प्रतिक्रिया दिय🙏✍ ❤❤❤ SAME IN CAPTION👇✍ कतय हेरायल ढेंगा-

read more
कतय हेरायल ढेंगा-पानी आ कतय चोरा-नुकी क खेल,
कतय गेल ओ धप्पा-धुप्पी आ कतय हेरायल पोसम्पा क रेल,
कबड्डीयो नै खेलै आब बच्चा,इ कोन कलजुग भेल,
फोने म खेल ताकी लेलक ,छूटल नेना-भुटका क सँझुका मेल,
कतय चली गेल माटिक चूल्हा परहक भोजन-भात,
ओय भोज्य क वर्णन की करब,अहा!गजबे होय छल स्वाद,
चिनबारक चूल्हा-चेकी बिला गेल,भेल गैस-सिलिंडरक साथ,
विलुप्त भ गेल सबटा संस्कृति,उफ! कतेक नमहर छैक आधुनिकताक हाथ,
डहि गेल सबटा खर क घर,बदैल गेल देहातक हालात,
बड़का-बड़का इमारत बनि गेल,बढ़ि गेल सबहक आब बिसात,
नै जैत अइछ आब कियो कलम-गाछी,नै रहल ओ पहुलका बात,
बूढ़-पुराण सँ लय बच्चा-बुदरुक सब अपने मँ मग्न रहै छैथ,केने रहै छैथ सब क कात,
कोनाक नेनाक हड्डी मजगूत हेतै,जँ नै वो अपन मैट पर लोड़ीयैत,
नून-रोटी क जगह पिज़्ज़ा-बर्गर ल लेलकै,स्वास्थ्य पर होयत अछि वज्रनिपात,
कंसारक चूड़ा-मुरही निपत्ता भेल,फास्ट-फूड लगौने अछि सब पर घात,
खेती-पातीं चौपट भ गेल,बदैल गेल सबटा हालात, 
शहर बनेता गांव क सब मिल,नै जानी की छैन ग्रामीणक जज्बात,
शहर बनबैक सपना त नहिये पुरतैन,धोता गाम सँ सेहो हाथ!! गामक वर्णन की करब गाम त होइते अछि अमूल्य(ओना प्रयास केने छी अयि स पहुलका पोस्ट म गांव क वर्णित करै क)मुदा आब बहुत तेजी सँ बहुत किछु बदैल रहल अछि,शहर बनबैक होड़ म गाम गामो नहि रही गेल😢
उचित विकास त जरुरिये छै मानव जीवन क लेल किंतु अहि सबहक बीच म गाम के प्राकृतिक सुंदरता शनै-शनै विलुप्त भ रहल अछि जैसे आजुक पीढ़ी गामक ओ बहुमूल्य प्रेम सँ वंचित रहि जेता और ई वास्तव म चिंता क कारण थीक!
एकटा कोशिश केलौ सबटा बात मैथिली म समटै क,पढू आ प्रतिक्रिया दिय🙏✍
              ❤❤❤
SAME IN CAPTION👇✍
कतय हेरायल ढेंगा-

Madhav Jha

सखी हम जीबन कोना कटबई
अयलाह से काल्हिये जेताह
नै साहब कान्हि सँ टिकुली
नै पहिरब चुड़ी ने बिजली
भमर सन केस अछि हमरो
सेहो बिनु तेल के रखबई
सखी हम जीबन कोना कटबई
अयलाह से काल्हिये जेताह
जहन चल अंग मे भुषण
तहन भ हम लेपबई
चमेली तेल के बदला
रुक्ख भ हम लेपबई
जखन अंगुली के आठो पर
गनै छलियई पीया अपोता
तहन माला के गोरी पर
पीया के नाम हम रटबई
जहन दिन-राति पलंगिया पर
पीया संग केलि हम केलयै
तहन बीरहा के बेदन में
पीया के नाम हम रटबई
सखी हम जीबन कोना कटबई
अयलाहे हो काल्हिये जेताह…..

–बिद्यापति  #मैथिलीकविता #मैथिलीरचना #योरकोट_दीदी

dhiraj

हमर संगिनी बड़का मुहनथिनी,
जैहया स संग भेल हमर माथचटली,

भैर दिन अपन मुँह फुलेने रहै छैथ,
काजुक बेर बउवा-2 कहै छैथ,
मसूयाईल मुँह स हमरा मनबै छैथ,
आ जे नै मानलो त घरे बम फुटली,

हमर संगिनी बड़का मुँहनथिनी,
जैहया स संग भेल हमर माथचटली-2||

हमर गप एको रति सुनै नै छैथ,
हमरा त बड़का राक्षस बुझै छैथ,
अपन मर्जी क ओहि मालकिन छैथ,
एक बेर जोर से बजलो त नोरे नोरे कनली,

हमर संगिनी बड़का मुहनथिनी,
जैहया स संग भेल हमर माथचटली||
 #मैथिली #मैथिलीकविता #मैथिली_भाषा #ywrittings #yqbaba #yqdidi #yourquote


About Nojoto   |   Team Nojoto   |   Contact Us
Creator Monetization   |   Creator Academy   |  Get Famous & Awards   |   Leaderboard
Terms & Conditions  |  Privacy Policy   |  Purchase & Payment Policy   |  Guidelines   |  DMCA Policy   |  Directory   |  Bug Bounty Program
© NJT Network Private Limited

Follow us on social media:

For Best Experience, Download Nojoto

Home
Explore
Events
Notification
Profile